Last modified on 30 जून 2014, at 22:28

कोइलिया नीको ने लागय तोहर बोल / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

कोइलिया नीको ने लागय तोहर बोल
जखन सँ श्याम-हरि गेला मधुपुर
तखन सँ करत अनघोल, कोइलिया
नीको ने लागय तोहर बोल
सगरि रैनि मोरा निन्दियो ने आयल
नयन बहय दुनू नोर, कोइलिया
नीको ने लागय तोहर बोल
बारि बयस मोरा, पिया मोर तेजल
विधना देल दुख मोर, कोइलिया
नीको ने लागय तोहर बोल
दुखमोचन धीरज धरू मनमे
मिलिहैं नन्दकिशोर, कोइलिया
नीको ने लागय तोहर बोल