दिल से बन्हल हए तार दिल के
आके करू इजहार मिलके...
दिल हम्मर कुहकइअऽ हरदम
आ जा तू आवाज सुनके...
केतना बेर कली हए खिलल
केतना फूल छितराएल खिलके...
ओक्कर आबे के आसा में
सावनो थाक गेल बरस-बरस के...
तइयो तोरा हए सुधि न आएल
अब तक हती राह तकइते...
दिवाली के दीया देख क
सिसकइअऽ ई दीया दिल के...
अभियो आजा प्रियतम तू हम्मर
दिल से बन्हल ई तार से खिंचके...