Last modified on 15 मई 2015, at 10:39

सहचर-परिचर: पुरजन-परिजन / सुरेन्द्र झा ‘सुमन’

कते पसारी पन्सारी व्यापारी पुर सहयोग
खर-खबास जन-बनिहारक सेवा नहि बिसरय योग
चमरू प्यारे मूनर भिसरी बीलट गोविन साहु
सोनू गोनू राउत मरड़ डोमी ठाकुर वयसाहु
जित्तू बौनी बौना तुलसी गेना कैलू खास
गोपी कन्तू पचकौड़ी मेदन खेदनहु खबास
रामक टहल, खराम दीहलक, नथुनि मालि केर फूल
नेबि लहेरि’क गुआ-भाल, डोमिक कर्तित कत चूल
मन पड़ैछ शबरी अमरौतिक कुटनी-पिसनी हारि
कते पसारी जन-बनिहारहु, टिपिकल कते भिखारि