भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
सासु जरातुरि भेली / विद्यापति
Kavita Kosh से
सासु जरातुरि भेली, ननन्दि अछलि सेहो सासुर गेली,
तैसन न देखिअ कोई, रयनि जगाए सम्भासन होई,
एहि पुर एहे बेबहारे, काहुक केओ नहि करए पुछारे,
मोरि पिअतमकाँ कहबा, हमे एकसरि धनि कत दिन रहबा,
पथिक, कहब मोर कन्ता, हम सनि रमनि न तेज रसमन्ता,
भनइ विद्यापति गाबे, भमि-भमि विरहिनि पथुक बुझाबे .