भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

अस्तित्व / ललितेश मिश्र

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता २ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 08:28, 6 जून 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=ललितेश मिश्र |संग्रह= }} {{KKCatKavita‎}} {{KKCatMa...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

 
अस्तित्वक नाम पर हमरा लोकनिक
जीहसँ कण्ठनलिकाक माध्यमे
संयुक्त अमाशय-पक्वशय टा धरि
निरापद बाँचल अछि
धमनी, शिरा, आ मस्तिष्क पर
जेना बर्फक हिमालय
जमि गेल अछि-अपरा भेदी !
विस्मित हमर मोन-प्राण
बूझए चाहैछ
जँ कष्ट-भोगक प्रारब्ध समतुल्य अछि
तँ देह आ आदर्शक व्यापारमे
कोनो विभेद नहि ?
एहि वैविध्यपूर्ण संसारक
नाटक लीलामे
सरिपहुँ पात्र-उपपात्र बनल
मुनक्खक लेल
निष्कर्ष प्राप्तिक अनिश्चिततासँ
पैघ कोनो विरोधाभास नहि
नापल-जोखल जीवनक
इएह अनिर्णयात्मकता तँ
भेल हमर अस्तित्व !