भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

????? / यात्री

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

रविरंजित शिखरबला
हिमाद्रिक वक्ष पर
देवदारू - वन मेँ
टहलैत शिशु मेघ केँ
छूने छहक कहिओ?

किन्नर - परिवारक
मुक्त अतिथि रूपेँ
द्राक्षाक पुटपाकी
अति पुरान आसब
चखने छहक कहिओ?

भीठ पर लगाओल
सफेद मालदहक
प्रथम - प्रथम
मंजरी गुच्छ
सुँघने छहक कहिओ?

शारदीय
बंकिम धारमे बंकिम धारमेँ
टुटैत कगार केर
क्षुब्ध - मथित - आहत नाद
सुनने छहक कहिओ?

प्लास्टकक ट्यूबमेँ
लिपि रूपेँ प्रवहमान
क्षण - प्रभा विद्युत केर
छाया मय भास्वर स्पंदन
देखने छहक कहिओ?