भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
अंगना अयला भगवान / मैथिली लोकगीत
Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 11:38, 2 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह=विवि...' के साथ नया पन्ना बनाया)
मैथिली लोकगीत ♦ रचनाकार: अज्ञात
अंगना अयला भगवान
सखी सभ करिअनु आरती
सोनाक थार कपूरक बाती
आरती उतारू भगवान
सखी सभ करिअनु आरती
सोनाक थारमे नीर-गंगाजल
चरण पखारू भगवान
सखि सभ करिअनु आरती
सोनाक थारमे छप्पन परोसल
भोग लगाबू भगवान
सखी सभ करिअनु आरती