Last modified on 2 जुलाई 2014, at 11:38

अंगना अयला भगवान / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

अंगना अयला भगवान
सखी सभ करिअनु आरती
सोनाक थार कपूरक बाती
आरती उतारू भगवान
सखी सभ करिअनु आरती
सोनाक थारमे नीर-गंगाजल
चरण पखारू भगवान
सखि सभ करिअनु आरती
सोनाक थारमे छप्पन परोसल
भोग लगाबू भगवान
सखी सभ करिअनु आरती