Last modified on 30 जून 2014, at 23:27

अंगना के काते-काते नाचे हनुमान / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

अंगना के काते-काते नाचे हनुमान
कथी लए रूसल छथि वीर हनुमान
मंगाय दे मालिन बेटी, गँथाय दे हार
माला लय रूसल छथि वीर हनुमान
मंगाय दे ब्राह्मण बेटी मंगाय दे जनउ
जनउ लय रूसल छथि वीर हनुमान
मंगा दे हलुअइया बेटी मंगाय दे मधुर
नैवेद लेलय रूसल छथि वीर हनुमान
मंगा दे सेवक बेटा करा दे पूजा
पूजा लय रूसल छथि वीर हनुमान
अंगना के काते-काते नाचे हनुमान
कथी लय रूसल छथि वीर हनुमान