Last modified on 15 मई 2015, at 10:42

अग्र-प्रत्यग्र: तरुण उदग्र / सुरेन्द्र झा ‘सुमन’

नगर शिवाजी वागीशहु, श्यामहु बल्लीपुर गाम
उच्च कक्ष शिक्षाक खरारी वैद्यनाथपुर धाम
छोटे-बड़े समाने बाबू - भैया शिक्षक - शिष्य
श्रमिक गृहस्थ जाति - जातिक ओ वर्गक वर्ग विशिष्य
सत्त्व सतीश गणेशक बढ़ओ, महत्त्व गिरीशक दून
कोमल नबल मुकुल नवतुरिया फूलओ - फरओ अलून
मोहन रेवति सुमन सोन हीरा गोविँद गुण पूर
विश्वम्भर मिथिलेश महेश लाल फूलहु नव तूर
नारायण कामहु नामहु नव नवलहु राज किशोर
रामदयाल प्रकाश प्रतापहु ललित कलित नव पोर
गुण सोनक मन सुमन, मुरलि धुनि, गुंजुक मंजुल बात
कुमर कन्हैया रामकुमार विमल हीरा अवदात
सचर मुरारी पटु पुनि बिलटू जनि गुन लट्टू लोक
सीयाराम प्रकाश जय- श्री बिजल बिजलि आलोक
नव अकुर दूर्वा दल तुल वर्धित नित लोक अशोक
युग जीवी सब तरुण किरण रेखा आशा आलोक
आनहु रूप अनूप नाम नहि मन किछु स्मृतिक अभाव
बाल किशोर तरुण गुणशाली बढ़बथु भव्य प्रभाव
भरओ समाजक संघटनामे नव उत्साह वितान
तखनहि युवक युगक अनुकूल सुयोग प्रयोग प्रभान
एखनहुँ खनहुँ विलमि देखइत छी प्रमुदित मन अतिधीर
गामक नामक प्रति रति रखइत उद्यत युव जन वीर