Last modified on 19 दिसम्बर 2015, at 18:24

अद्भुत होरी / शिव कुमार झा 'टिल्लू'

वयना लेल आब अद्भुत होरी
समरथ सुत परदेशज झारथि
अप्पन ललना हिन्द बघारथि
बहुआसिन " मैथिली " बलजोरी ......
एक कोन चैतावरि बैसलि
बटगबनी ककरा घर पैसलि
डहकन बंगोपक मोरी ..........
घर घर आब ने मधुपक डेरा
कत' अछि वाणी सजल चंगेरा
नेना ने बूझथि मड़ुआ तोरी........
आनक बोलीक गरम मसल्ला
सुनि उन्मत मैथिलक मोहल्ला
भलगर गीत भरल बोरी .......
क्षण क्षण करू हिन्द स्वर वंदन
कखनो त' सुनियो मायक क्रंदन
की होलिका संग वैदेहीक होरी ........?