भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

अनावृत / प्रवीण काश्‍यप

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता ३ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:23, 4 अप्रैल 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=प्रवीण काश्‍यप |संग्रह=विषदंती व...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

हमर मन साँच
अहाँक देह पर ससरैत साँप
प्रेमक बोल सँ
तिक्त होइछ अहाँक मन
ऐठैत अछि जीह
बोल भरोस दैेत छी अपना कें
तें ठहरल छी।
मुदा अनावृष्टि सँ
फूल-फल विलीन
पात-पात हमर झरकल छी
दम घुटैया
बहैत अछि शीतल बसात
हम अनावृत
हार-हार काँपैया!
आ बेर-बेर अहाँ
हिमाल पानि सँ भिजबै छी
कखनहुँ समयक नाम पर
कखनहुँ लोकक नाम पर!