Last modified on 5 मार्च 2017, at 12:58

अन्नदाता / गुंजनश्री

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 12:58, 5 मार्च 2017 का अवतरण (Sharda suman ने अन्नदाता / गुंजन श्री पर पुनर्निर्देश छोड़े बिना उसे अन्नदाता / गुंजनश्री पर स्थानां...)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

राति सुतय काल
कहैत छली-
यौ! आई चिक्कस
सनैत काल
अभरैत छल
शोणित,
बड्ड दुरदुरेलियैक
मुदा नै हटल फराक
अंत मे सानि देलियैक
आ खुआ देलहूँ आहाँके

कोन ठीक
आहाँक ठंढायल शोणित मे
जीबि जाइ
एकटा हारि क' मरल
अन्नदाता के
जिनगी
आ आहाँ बनि जाइ
राजपशु स' नर वा
मशीन स' मनुक्ख
किन्सैत!