Last modified on 5 मार्च 2017, at 12:58

अन्नदाता / गुंजनश्री

राति सुतय काल
कहैत छली-
यौ! आई चिक्कस
सनैत काल
अभरैत छल
शोणित,
बड्ड दुरदुरेलियैक
मुदा नै हटल फराक
अंत मे सानि देलियैक
आ खुआ देलहूँ आहाँके

कोन ठीक
आहाँक ठंढायल शोणित मे
जीबि जाइ
एकटा हारि क' मरल
अन्नदाता के
जिनगी
आ आहाँ बनि जाइ
राजपशु स' नर वा
मशीन स' मनुक्ख
किन्सैत!