Last modified on 11 जनवरी 2015, at 19:49

अन्हर बिहारि सब बहिते रहतै / भास्करानन्द झा भास्कर

अन्हर बिहारि सब बहिते रहतै
जीवनमे सुख दुख अबिते रहतै

आस किरणसं आश्वस्त मनुज
हर्खक गीत मिलि गबिते रहतै

उमकि पवन वन झाड़ैत गाछ
मन गातमे उमंग लबिते रहतै

छोटका बडका अगरल पिछरल
समयक चक्रमे सब दबिते रहतै

धीरज संग सब दगधल करेज
जीनगीक सुस्वाद पबिते रहतै