भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

आउ किछु सुना रहल छी / किसलय कृष्ण

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

सुनियौ कने अकानि त' जिनगी सेहो गीत छै।
चिन्हब कठिन संसार में के शत्रु आ के मीत छै।

सम्हरि चलू इजोत मे, ई संकेत थीक अन्हार केर,
जनगण जरै कंसार मे, गद्दी सँ ओकरा प्रीत छै।

कहैय मादक आँखि ई, समय रहैत चेत जाउ,
सभ गली आ बाट मे, किकिया रहल संगीत छै।

बैसल किछु फुरा गेलै, गामक टूटल मचान पर,
उजड़ि गेलै टोले हमर, चौक सेहो भयभीत छै।

जा रहल उतान सन, थिकीह के ई नवयौवना,
बाजल केओ हाट मे, बिल गेट्स के मनमीत छै।

किसलय ककर सम्मान मे, राखल गेल पाग ई,
छत एकर पक्का मुदा, देबाल सभटा भीत छै।