Last modified on 23 मई 2016, at 03:22

आएल मास हेमन्त आ कि गाम पड़ि गेल मोन यौ / धीरेन्द्र

आएल मास हेमन्त आ कि गाम पड़ि गेल मोन यौ।
करू की हम नहि फुरै अछि, अछि उपाये कोन यौ।
कतहु कटनी, कतहु झटनी, कतहु दौनिक सोर यौ।
नीड़-हीन विहंग जेकाँ आँखि पूरित नोर यौ।

अरे ! आएल मास हेमन्त
मोनक विहग उड़ल अकाशमे,
दूर अछि जइ भूमिसँ ओ
तकर ताकक आशमे।
परिस्थितिकेर बोध होइतहि मोन भए गेल घोर यौ।
दूर भए गेल हमर हेतुक अपन जननीक कोर यौ।