भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

आखर-आखर छल छिड़िआयल / नवल श्री 'पंकज'

Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 12:46, 8 मार्च 2017 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=नवल श्री 'पंकज' |अनुवादक= |संग्रह= }} {...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

आखर-आखर छल छिड़िआयल जोड़ि देलहुँ तऽ गजल बनल
अपन कलम केर लाधल चुप्पी तोड़ि देलहुँ तऽ गजल बनल

रंग रदीफक सजल काफिया बहरक लय मतलासँ मकता
भावक परती- उस्सर धरती कोड़ि देलहुँ तऽ गजल बनल

भाव पृष्ठपर शब्दक अरिपन पाड़ि रहल छी साँझ-परात
मोनक पट हम गजल रंगसँ ढोरि देलहुँ तऽ गजल बनल

गंगे सन अछि गजल गंहिरगर जते अकानब ततेक अथाह
मन-प्रवाह दिस लगन नाहकें मोड़ि देलहुँ तऽ गजल बनल

टीस उठल जँ मोन पड़ल किछु, कानि कऽ नोरे-नोर भेलहुँ
पांति-पांति नोरक पोखरिमे बोरि देलहुँ तऽ गजल बनल

छूटल-टूटल-रूसल सभ, नहि गजल बाटपर संग किओ
“नवल” गजल कहबा पाछा जग छोड़ि देलहुँ तऽ गजल बनल