भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

आखर-आखर प्रीत लिखू / रूपम झा

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

आखर-आखर प्रीत लिखू
जन जीवन केर गीत लिखू

सुन्दर चल लगाबी उपवन
धार बनाबी कंचन-कंचन
करू ज्ञान विज्ञानक चिन्ता
पोर-पोर पर जीत लिखू
जन जीवन केर गीत लिखू

समय आगि उगलै अछि प्रतिपल
मोन भए रहल बेकल-बेकल
सिर्घ मेटाउ ताप बाट सँ
डेग-डेग पर शीत लिखू
जन जीवन केर गीत लिखू

जाति-धरम के भेद मेटाउ
नहि जिनगीक कठिन बनाउ
सबहक जति एक मानव अछि
सभकेर आपन मीत लिखू
जन जीवन केर गीत लिखू