Last modified on 2 जुलाई 2014, at 20:43

आजु ई पाबनि बालमु संग पूजब / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

आजु ई पाबनि बालमु संग पूजब
नहि एला बालम हमार हे
सासु निदर्दी दर्दो ने जानल
नहि देलनि भार पठाय हे
दिआदिनि निदर्दी दर्दो ने जानल
नहि देलनि गौर बनाय हे
ननदो निदर्दी दर्दो ने जानल
नहि देलनि साजी सजाय हे