Last modified on 8 अगस्त 2016, at 02:16

आमक गाछि / रामदेव झा

नहुँ नहुँ सिहकल जखन बसात
डोल' लागल आमक पात
मजरल गाछी टिकुला भेल
धिया-पुता सब गाछी गेल
टिकुलासँ पथिया भरि गेल
अपना- अपनी घरमे देल
देथि पुदीना ओ मिरचाई
चटनी पीसथि बड़की दाइ
आमिल बनलै चीरि सुखाय
बनल कसौँझी तेल मिलाय
आम डम्हायल लीबल डारि
ओगरबाह खोपड़ी देल गाड़ि
ऊठल जोरगर जखन बिहाड़ि
डारि-पातकेँ देलक झाड़ि
लागल आमक पैघ पथार
फाँड़ासँ बनि गेल अँचार।