Last modified on 2 अगस्त 2016, at 01:21

आ केना कऽ हम तऽ ब्याह करबै / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

आ केना कऽ हम तऽ ब्याह करबै
राज तऽ महिसौथामे
आ केना कऽ तऽ बिआह करबै
राज तऽ महिसौथामे ने हय।
आब केना के आइ तऽ बिआह
आब केना के आय बिआह हौ करबौ
सामैरबती हौ दुलहीनियाँ के
आ केना के बिआह करबै
सॉमेरबती दुलहीनियाँ के ने हय।।