भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

आ केना के बान्ह राजा / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

आ केना के बान्ह राजा
हजमा के बान्हि देलह हौऽऽ।
हौ जल्दी अय बान्ह हजमा के
खोलि दीयौऽ।
आ भल दिन भल भेल
सोम दिन दिन भेल
डोला फनाँ के शैनके लऽ जेबै
आ सहेजे आइ दिन राजा
ड्योढ़ीमे आय मानि लियौ यौऽऽ
हौ देवीपुरमे हमहु एलीयै
जाति गोआर के बेटा कहबै छी
आ मैनीगढ़मे घर लगै छै
सात सय हौ गइया हौ मैनीगढ़मे चरबै छी
आ अगुआ जे बनिके राजा
तीसीपुरमे एलीयै ने यौ