भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

आ गे डिहुली, आ गे डिहुली / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

आ गे डिहुली, आ गे डिहुली
सामा जाइ छै ससुरा
किछु गहनो चाही गे डिहुली
आ गे डिहुली, आ गे डिहुली
धऽ ला सोनरबा के
गढ़ाइये देबौ गे डीहुली
सामा जाइ छै ससुरा
किछु पौती चाही गे डीहुली
आ गे डीहुली, आ गे डीहुली
धऽ ला डोमिनियाँ के
बुनबाइये देबौ गे डीहुली
सामा जाइ छै ससुरा
किछु सेनुर चाही गे डीहुली
आ गे डिहुली, आ गे डिहुली
धऽ ला पटतिबनियाँ के
किनिय देबो गे डिहुली
आ गे डिहुली, आ गे डिहुली