Last modified on 7 जून 2013, at 06:37

कोसी-भगइत / रमेश

दराड़ि-दराड़ि़-दराड़ि...पुरबी कोसी नहरिमे। दराड़ि-दराड़ि-दराड़ि...पछमी कोसी नहरिमे। बाढ़ि-बाढ़ि-बाढ़ि तिलयुग्गा बाढ़ि। बाढ़ि-बाढ़ि-बाढ़ि....धेमुरा के बाढ़ि ! तिलावे-धमारा.....तिनभुग्गा बाढ़ि.। चप-चप चुभुक-चुभुक, बाढ़ि-बाढ़ि-बाढ़ि ! पुरबी कोसी नहरिमे दराड़ि-दराड़ि़-दराड़ि...। पछमी कोसी नहरिमे दराड़ि-दराड़ि़-दराड़ि...। बीचमे सकठे बाढ़ि-बाढ़ि-बाढ़ि.....
बालुक टाल, बाप रौ बाप ! जीवन काल, बाप रौ बाप ! पनियों लाल, बाप रौ बाप ! कोसी नहरिमे अगबे टाका बाप रौ बाप, बाप रौ बाप ! चानी पीटल पानि, कोसीक आर-पार। सोना पीटल जेबी, कोसीक आर-पार। माइ गै माइ तिस्सीक तेल, जटआ भेल। माइ गै माइ, बेटा भेल, मरि-मरि गेल। पनिजाबसँ आए, पनिजाबे गेल, मोहबाक टेल्ह। पड़बाक गेल्हकें पिलही भेल । पनिदुद्दुर मेल। सब किछ गेल, पानिमे गेल, सब किछु गेल।
देसी सरकार, विदेसी बेवहार। रन्ना पीठ पर, रन्नू सरदार। लासमे रस्सा कोसी सरकार। बचल-खुचल दाना, फल्लां गिरोह। फल्लां गिरोह, माइ चिल्लां गिरोह। पासमान-पहलमान, गिरोह-गिरोह। बिहार सरकार, राइफलवला घोड़ा। सरकारे-सरकार, सरकारे-सरकार।
जोर लगा क’ हइसा ! सरकारकें घीचू हइसा !
परशासन घीचू हइसा ! सिंहासन घीचू हइसा !
लोककें घीचू हइसा ! नाहकें घीचू हइसा। छन्नर-भन्नर हइसा !
चन्द्रायण आइ.बी. हइसा ! वीरपुर आइ. बी. हइसा !
दिवारी-थानमे दूध आ लावा, बीयर-बारमे हइसा !

कारू बाबा, खीर खा, खीर खा सरकिट हाउसमे ! टेंगरा-इचना लए जो बुधना, हरिजन-कलोनी हइसा ! रोहुआ-बचबा दए जो टेनमा, कोसी परजेक्टमे हइसा ! एसकूटी सैहैब हइसा ! सकठे कोसी पइसा ! चानी पीटल पइसा ! छहरसोलिंग पइसा ! बान्ह के पिच्चिंग पइसा ! पीपा-पुल पइसा ! सुल्लिस गेट पइसा ! पइसा-पइसा-पइसा ! हइसा-हइसा-हइसा !
पइसा हजम, खेला खतम। खेला खतम, पइसा हजम ! बोल जमूरे अगिला साल ? मालामाल-मालामाल ! बाढ़ि-बाढ़ि-बाढ़ि....दराड़ि-दराड़ि़-दराड़ि...पूरबी कोसी नहरि...पछमी कोसी नहरि...पूरबी कोसी परमण्डल, पछमी कोसी परमण्डल....बेचिरागी गाममे राकस.....भुक्-भुक्-भुक्-भुक्....घेघही आँगनमे पंजाबी कौआ-काउँ-काउँ-काउँ-काउँ...पाँच गाममे एकटा चक्की-पुक्-पुक्-पुक्-पुक्... पुक्-पुक्-पुक्-पुक
चाउर-चाउर-चाउर, मातबर कोठी चाउर ! छाउर-छाउर-छाउर, पंजाबी भैया कोठी छाउर ! सा-रा-रा-रा-रा-रा-रा-रा, सा-रा-रा-रा-रा-रा-रा-रा....समधिनियाँ सा-रा-रा-रा-रा-रा-रा-रा समधिनियाँ मास्टर बनलै! समधिन इसकुलमे स्वेटर बूनए, चटिया सब समधिन के जुट्टी गुहए समधिनियाँ सा-रा-रा-रा-रा.... समधिनियाँ सा-रा-रा-रा-रा....समधिनियाँ वाह-वाह ! समधिनियाँ ओल-झोल ! समधिनियाँ ओल-झोल ! समधि एसमगलर, बैरेज मास्टर। समधि एसमगलर, बैरेज मास्टर ! समधि के डाँड़मे रस्सा बन्हैल ! समधिन के पेट में नूड़ी ठुसैल...जोगी जी सा-रा-रा-रा-रा....जोगी जी वाह-वाह ! जोगी जी वाह-वाह ! कोसीमे-कोसीमे आजु मचे होरी...कोसीमे....कियो पंचायत समिति कियो बनय मुखिया ! कियो बनए वाड मेम्बर, सभ बनए सुखिया ...कियो बनय परमुख राइफल के....हो....हो...कियो बनए अधियक्ष राइफल के....हो....हो कियो बनए मुखिया राइफलसँ-कोसीमे...कोसीमे आजु मचे होरी....कोसीमे...रंग गुलाल उड़े पेस्तौलसँ...रंग गुलाल उड़े सेमीसँ....एसकूटी के डेरा पर हो-हो....ओरसीयर के डेरा पर...हो-हो, टेन्डर भरि क’ डेरा पर...हो-हो-एम.बी फाइनल डेरा पर....कोसीमे...कोसी-वन डी.एम दधि लूटे....कोसीमे....कोसीमे फरकिया जीवन हो, कोसीमे....कोसीमे बेदरा भुक्खल हो...कोसीमे....कोसीमे बाढ़ि-दराड़िए हो-कोसीमे...।