Last modified on 27 अक्टूबर 2019, at 00:56

छोडू अपन कपटकेँ आ उदार बनू भैया / बाबा बैद्यनाथ झा

छोडू अपन कपटकेँ आ उदार बनू भैया
गाँधी, सुभाष, नेहरूक अवतार बनू भैया

कपटी-छली एम्हर फेर गरदनि उठा रहल अछि
आबो नयन तँ फोलू ललकार बनू भैया

घीँचैछ बीच बनिकऽ भारतकेँ ओ भँवरमे
डूबैत अपन देसक पतवार बनू भैया

कर्मठ बनल रहब जँ काजक ने फेर कमी छै
मेहनति करू आ खुदसँ रोजगार बनू भैया

अपटा स्वार्थमे सभ निसभेर भऽ सुतल छी
अप्पन बनाकऽ सभकेर गरहार बनू भैया

पशुवत् ओकर छै जिनगी अपना लए जे जिबैए
जनहित करू आ देसक शृंगार बनू भैया