Last modified on 30 जून 2014, at 22:29

जाय दीअ यदुवीर, कृष्ण जाय दीअ यदुवीर / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

जाय दीअ यदुवीर, कृष्ण जाय दीअ यदुवीर
हम एकसरि भेल अबेरी
कनक कलश लेने सीर
कृष्ण जाय दीअ यदुवीर
हठ जुनि करिय
पथ मोर छोड़ि दीअ
मरब यमुनाक नीर
कृष्ण जाय दीअ यदुवीर
सासु दारूण ननदि बैरिनि
किछु दिवस धरू धीर
कृष्ण जाय दीअ यदुवीर