भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

जीने-मरने की! / बुद्धिनाथ मिश्र

Kavita Kosh से
अनिल जनविजय (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 11:25, 15 अक्टूबर 2010 का अवतरण (नया पृष्ठ: {{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=बुद्धिनाथ मिश्र |संग्रह= }} Category: मैथिली भाषा [[Category…)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

जकरा तन सोनित क लैस नहि
तकरा जीने-मरने की!

ओकरे बात सुनै अछि पंचो
जकरा हाथ गड़ाँस
नीक सदा लगलैए सभ कें
निम्मल देह क माँस

जपे करैत भेल पाथर जे
तकर आसनी जरने की!

पिता छला वाचस्पति
बेटा बौक बनल अपने कर्मे
धधरा तापि सकब कतबा दिन
बैसि अहाँ लाह क घर मे

धाङत खेत साँढ़ सब,चेतू
पाछाँ बाध ओगरने की!

पक्का पीटि रहल अछि सभ क्यो
बजा-बजा कें गाल
भाङ पीबि दू धूर क डीहे
पर की रहब नेहाल?

जागू, काज करू किछु, बैसल
हाथ माथ पर धरने की!