Last modified on 23 मई 2016, at 03:09

ज्योतिक आराधक बदनाम पूरा / धीरेन्द्र

ज्योतिक आराधक बदनाम पूरा,
अन्हारक ने सपना कहियो देखल हम।
साँचोमे आँचे यछि अछि बुझाइत,
सहन सभ करब हम उत्ताप आगिक।
मुदा ने मिझाबी ई ज्योतिक शिखाकें
अनावृत सत्यकेर हम रहलहुँ उपासकं
पाकी वा झरकी वा खाके बनी हम,
आस्था हमर बस रहओ संग हमर।
रहऽ बस दियऽ ई उपदेश सभटा
ढाहू ई ढिमका जमल अछि जे रूढ़िक।
निर्बन्ध होअओ ग्रन्थिकेर ई जे बन्धन
बनओ मुक्त मानस पवनवत बनओ ई।
चलू जा मरी संग, यदिउएह अछि अपेक्षित,
देखओ ई दुनियाँ, ने असगर छलहुँ हम।