भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

तापित हृदय-तल प्रखर अग्नि बोधो / धीरेन्द्र

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता ३ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 03:14, 23 मई 2016 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=धीरेन्द्र |संग्रह=करूणा भरल ई गीत...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

तापित हृदय-तल प्रखर अग्नि बोधो,
शापित जे यक्षक मनक भार हम्मरं
तपन ताप तापित सपत सभ हमर ई
भरोसक बीया वपन कए रहल अछि।
आशक लताकें जियाओल ओना अछि,
लागए मुदा ताश-घरकेर खेले।
खेले जँ सभटा तँ खेले रहओ ई,
दिनक दृश्य आबओ वा कारी निशाकेर
मुदा मीत हमहूँ छी जिद्दी खेलाड़ी
दाँव अन्तिम जे फेकी ओ जीते रहल अछि,
चलू ज ई जीवन लड़िते ई बीतओ,
पराश्रित अमरतासँ मरणो श्रेयष्कर।
जीयब ज जीयब धधरा भए जीयब,
धुँआइत जीवन रहल नहि अपेक्षितं