Last modified on 22 अप्रैल 2015, at 22:45

तोरा लेल / नरेश कुमार विकल

सशुल्क योगदानकर्ता ३ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 22:45, 22 अप्रैल 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=नरेश कुमार विकल |संग्रह=अरिपन / नर...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

लटकल लट सँ चुबै छौ घाम गय।

आँखिक नरम सेज हमरा बिछा दे
कारी सघन केश मुँह पर ओढ़ा दे
ठोरक धार मे हमहू नहाएब
नहाएब ने कोशी आ कमला-बलान गय।

आँचरक बीअनी बसातो बहाबै
चूड़ीक मधुर सुर हमरा सुनाबै
स्कॉच-व्हिसकी सन चढ़ल रंग छौ।
वाजब तोहर जेना चीनी रैयाम कें।

तोहर नयन कें बिसरि ने सकै छी
बिसरबें ने हमरा तोहूँ, जनैछी
मुदा डर लागैयै कोना प्राण बाँचत
जहिया तों छोड़ि कें चलि जयबें गाम गय।

पान ओ मखान कें चोरा कऽ खोआओत ?
उज्जर दही के मुँह मे लगाओत ?
तरल माछ लऽ के हमरा लोभाओत
के आब खोआओत गाछीक आम गय।