Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 17:15

थेह / ककबा करैए प्रेम / निशाकर


ओना तँ हम
एकसरिसयो पार कऽ सकै छी
संसार-सागर
मुदा,
अहाँक संग जँ भऽ जाय
बरखाक मौसममे
बोनमे नचैत
मयूर जकाँ
हमर मोन
मनाओत उछाही
लागत जेना भेंट गेल होअय
हमरा थेह
आ हम
अनुभव करी थेहगर।