भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

दिनकरकें सुत छी / एस. मनोज

Kavita Kosh से
Rahul Shivay (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 19:49, 21 दिसम्बर 2018 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=एस. मनोज |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatMaithiliRac...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

दीप बनि-बनि जरब
तमकें प्रतिपल हरब
हम त दिनकरकें सुत छी
दिवाकर बनब।

अछि विषमता जतय
दुःखकें कारण बनल
ओतय समता ल झंडा
उठैबे करब।

जनकें परिचय जतय
जाति सँ, धर्म सँ
कर्मवादी व्यवस्था
बनैबे करब।

अछि जे पहरा पड़ैत
कोखि पर घोघ पर
ओ सभ पहराकें हम त
हटैबे करब।

जँ किसानी-मजूरी ल
आफैत पड़त
त हम सत्ता-व्यवस्था
हिलैबै करब।

घून लागल जतय
लोककें तंत्र मे
तंत्र लोकक सुनरका
बनैबे करब।