भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

नानी त' दैवक दान सन / नवल श्री 'पंकज'

Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 13:08, 8 मार्च 2017 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=नवल श्री 'पंकज' |अनुवादक= |संग्रह= }} {...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

नानी त' दैवक दान सन
नाना सुखद अभिमान सन

दुलरी धिया नानीक जे
से माँ हमर भगवान सन

मामी सिनेहक खान छथि
मामा लगै छथि चान सन

मौसीक ममता माँ जकाँ
मानथि अपन संतान सन

नानी खुआबथि साग जे
लागैछ ओ पकवान सन

भेटल सिनेहक छाँह ई
होइत अछि दिअमान सन

छै नेह मात्रिकक "नवल"
अनमन अगहनक धान सन