Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 18:36

प्रेमी सभ / ककबा करैए प्रेम / निशाकर


अहाँक
रंगल ठोर
रंगल हाथ
रंगल पयर देखि
ककरा नीक नहि लगतैक?

जहिना फूलकें फुलयबाक खबरि पहुँचि जाइए
भौंरा लग
ओहिना अहाँक जुआन होयबाक
सजबाक खबरि पहुँचि जाइए
प्रेमी लग
आ प्रेमी सभ
अहाँक लग
अयबा लेल
तकबा लेल
आ अहाँकें
पयबा लेल
लुरि लगबऽ लगइए।