भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

प्रेम: एकटा पुरान गीत / राजकमल चौधरी

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

राति दीप सन! हम मुक्ता खसल सीप सन
आसक बाती। साँझे खन प्रिय, गाउ पराती
नइँए आन उपाय
बाती, दीप, तेल सभ सूतल जाय...
मुदा, निन्नक उपरान्त स्वप्न
स्वप्नमे केवल, मात्र अहीँ
छी स्वप्न अहीँ!

मध्यमे नदी सात, धार चौदह टा
मध्यमे शान्ति-स्नेह नइँ, अपजस टा
तइयो अहाँ एतहि छी
तइयो सदिखन हम बताह सन
सभठाम तकैत रहै छी।

(मिथिला दर्शन, मइ: 1959)