Last modified on 14 मई 2015, at 23:24

भूमिका / सुरेन्द्र झा ‘सुमन’

जाही-जूही कथा-यूथिका गाथा याथातथ्य
कतहु पढ़ल वा पड़ल कानमे किदहु लिखल वर कथ्य
सुरभित अंतरकेँ कय गेल तकर किछु गंध-निबध
छंद मात्र परिधान देल नहि कल्पित कथा - प्रबध
‘कथा - यूथिका’ मैथिलीक डालीमे संचित मात्र
करइत आशासित छी, होयत पूजित अन्तर पात्र