भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

मधुश्रवणी गीत-2 / शशिधर कुमर 'विदेह'

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

चलै गे बहिना ! फुलडाली लय फूल तोड़य लए ।
अड़हूल तोड़य लए ।
सखी ! अड़हूल तोड़य लए ।।

भाँति–भाँति केर फूल फुलायल,
लुबुधल भरि-भरि डारि ।
बेला–बेली, जाही–जूही,
गेना-गुलाब-नेवारि ।
चलै गे बहिना ! फुलडाली लय फूल तोड़य लए ।
अड़हूल तोड़य लए ।
सखी ! अड़हूल तोड़य लए ।।

बेलपात आ फूल सखी हे,
तोड़ब भरि–भरि डाली<ref>मैथिलीक 'बाँसक कमचीक बनल वस्तुविशेष', नञि कि हिन्दीक 'गाछक शाखा'</ref> ।
बिसहरि-गौड़-महादेव पूजब,
माँगब सिनुरक लाली ।
चलै गे बहिना ! फुलडाली लय फूल तोड़य लए ।
अड़हूल तोड़य लए ।
सखी ! अड़हूल तोड़य लए ।।

आदिकाल सञो यज्ञभूमि,
मिथिला केर अछि ई तिहार ।
छी मिथिला केर बेटी, तेँ ई
जन्मसिद्ध अधिकार ।
चलै गे बहिना ! फुलडाली लय फूल तोड़य लए ।
अड़हूल तोड़य लए ।
सखी ! अड़हूल तोड़य लए ।।

शब्दार्थ
<references/>