Last modified on 12 सितम्बर 2018, at 16:57

मोन-दू / ककबा करैए प्रेम / निशाकर


बसात
अयला पर
मगन भऽ
गाछ
अपन
सुर, गति
आ लयमे
नचइए
चिड़ै-चुनमुनी
नेहाल भऽ
फुदकइए
ई दृश्य देखनिहार लोकक मोन
बहकि-बहकि जाइए
खूब अघाइए।