Last modified on 30 जून 2014, at 23:39

लाल पीयर एक मांड़ब / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

लाल पीयर एक मांड़ब
ओ जे हरियर रंग भरू हे
ताहि मांड़ब बैसलाह बड़का बाबा
जाँ जोड़ि अइहब आमा हे
गोदी भए बैसलाह प्रत्यूष बरुआ
बाबा लाल जनउआ दीअ हे
बाबा पीयर जनउआ हे