Last modified on 23 मई 2016, at 02:35

लिखलहुँ गीत आइ धरि जतबा / धीरेन्द्र

लिखलहुँ गीत आइ धरि जतबा,
तोरहिटा उद्वेग में !
हेरा गेल हे हम्मर धरती !
तोरहिटा आवेग मे !!
दिग्-दिगन्तमे देखि रहल छी
तोरेटा अनुहार हम !
दुलखैत जनु धूमि रहल छी
हियकेर बतहा भार हम !
लोक कहै अछि एना करै छह
व्यर्थ अनेरे सोच की !
निर्मम जाहि देश केर मालिक
ताहि भूमिकेर रोच की ?
मुदा मनावी कोना मोनकें
जे डूबल आवेग में ??
लिखलहुँ गीत आइ धरि जतबा तोरहिटा उद्वेगमे।