Last modified on 19 सितम्बर 2018, at 02:34

वर्तमान / गंग नहौन / निशाकर



वर्तमान
वर्तमान वीभत्से नहि होइत अछि
ओहिसँ शृंगार सेहो हुलकी दैत अछि।

वर्तमान
मात्र तीन नहि होइछ
मीठ सेहो लगैत अछि।

वर्तमान
मात्र गिरगिट जकाँ रंगे नहि बदलैछ
माय-सन दुलार सेहो करैत अछि।

वर्तमानक गर्भमे
मात्र अपहरण, नरसंहार आ बलात्कारे नहि पोसाइत अछि
धर्म, सेक्स आ कला सेहो पोसाइत अछि।