Changes

'{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=धीरेन्द्र |संग्रह=करूणा भरल ई गीत...' के साथ नया पृष्ठ बनाया
{{KKGlobal}}
{{KKRachna
|रचनाकार=धीरेन्द्र
|संग्रह=करूणा भरल ई गीत हम्मर / धीरेन्द्र
}}
{{KKCatGeet}}
{{KKCatMaithiliRachna}}
<poem>
सुन्न नगर, अनजान डगर,
अछि बहुत दूर मोर ठाम।
बीहड़ पथमे भटकि रहल छी,
दूर हमर अछि गाम !

चलइत-चलइत पएर टुटै अछि
चहकि चहल अछि अंग,
संगी हम छी असगर असगर
दूर भेल सभ संग।

भाँय-भाँय करइत अछि परिसर,
सन-सन बहय बसात,
हमरा असगर जानि एना ई
कए रहले उत्पात।

चन्ना मामा दुबकल सूतल
कम्बल-सन अन्हार,
राति डइनियाँ चला रहल
जनु सावर मन्त्रक जाल।

फन्नापर फन्ना अबैत अछि
ओझरा रहले पएर,
जोर-जोरसँ चिकरि
रहल छी, मुदा बनल सभ गैर।

देबै दोष किए ककरो हम
बिधिए हमरासँ वाम।
सुन्न नगर, अनजान डगर अछि, बहुत दूर मोर ठाम।
</poem>
Delete, Mover, Reupload, Uploader
2,887
edits