भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

Changes

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
'{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=धीरेन्द्र |संग्रह=करूणा भरल ई गीत...' के साथ नया पृष्ठ बनाया
{{KKGlobal}}
{{KKRachna
|रचनाकार=धीरेन्द्र
|संग्रह=करूणा भरल ई गीत हम्मर / धीरेन्द्र
}}
{{KKCatGeet}}
{{KKCatMaithiliRachna}}
<poem>
कहह नहि जे थाकि गेलहुँ !
सत्ते चलल छी काँट-कुशसँ
भरल ममपर बहुत दिनसँ।
सत्ते नियतिकेर मारिपर
पुनि मारि खयलहुँ।
इहो ठीके ठकपनीकेर ठाठ देखल,
जाहि कोनो आदर्शकेर पाथेय लऽ हम बिदा भेलहुँ,
खोलल समयपर जखनि पोटरी सह-सह नंरिया
पील देखल।
फेकि देलहुँ आइ सभटा ओ पुरनका भ्रमक मोटा,
कऽ रहल छी आइ नूतन प्राणरक्षाकेर व्यवस्था।
ओना एहि अभियानमे अछि बीतल वयसककेर वर्ष ढेरी
की करब सखि ! नियतिकेर थिक आह ! सभ टा
क्रूर फेरी।
अथवा निसर्गक ई परीक्षा ! चलह दऽ दी जेना-तेना
माझमे नहि एना बाजह, मारिसँ हम काँपि गेलहुँ।
कहह नहि जे थाकि गेलहुँ।
</poem>
Delete, Mover, Reupload, Uploader
2,887
edits