Last modified on 4 जुलाई 2020, at 13:50

संकेत / अग्निपुष्प

एना होइत छैक भाइ
हरियरकंच बाध-बोनक
सबटा धानक खखरी भ' जाइत छैक
मेहक चारूकात घुमैत
बड़दक मुँह में जाबी लगा देल जाइत छैक

ललाट सँ चुबैत घाम
नासिकाग्र धरि अबैत-अबैत सुखा जाइत छैक
ह' रक लागनिक ठेला
बेर-बेर कजरौटी पर पड़ैत छैक


पन्द्रह दिनक अन्हरिया सँ त्रस्त
आकाशक ओरियानी मे
एकटा कचिया हाँसू चमकि उठैत छैक।