भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

"सप्तपुरी / जतरा चारू धाम / सुरेन्द्र झा ‘सुमन’" के अवतरणों में अंतर

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज
('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=सुरेन्द्र झा ‘सुमन’ |अनुवादक= |सं...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)
 
पंक्ति 14: पंक्ति 14:
 
रघु दिलीप अज दशरथक रथ-पथ शत गाथा लिखित
 
रघु दिलीप अज दशरथक रथ-पथ शत गाथा लिखित
 
कुठित बैकुण्ठहुक रुचि दृग-पथ चित रहु अवतरित
 
कुठित बैकुण्ठहुक रुचि दृग-पथ चित रहु अवतरित
 +
 +
2.  मथुरा -
 +
शूरशेन जनपद मुकुटक मणि मथुरा धाम
 +
जतय अवतरित परम ब्रह्म लीलाहित लीलाधाम
 +
अधर मुरलि, कर चक्र चंक्रमण, हाथ राखि रथ रासि
 +
गोपी-उर चन्दन, रिपु-कन्दन ज्ञान - पन्थ उद्भासि
 +
कंस भ्रंसि, कुरु-वंश ध्वंसि, मुनि मानस-हस, अनन्त
 +
तनि पद-पù सù जत अंकित बसिअ मुक्ति हित अन्त
 +
मधु रिपु मथि, रिपूसूदन सदन बनाओल रुचिर ललाम
 +
पुनि मधुसूदन मधुपुर सजलनि मधुरा मथुरा नाम
 +
 +
3.  माया -
 +
माया पुरी उत्तरा खंडक सुविदित गंगा - द्वार
 +
यज्ञमयी सुरगवी अथ च धर्मद्रवीक संसार
 +
पुनि जुभि कहवे मही महामायाक तिरहुतिक द्वार
 +
जतय सिराउर सँ सीता भगवती लेल अवतार
 +
 +
4.  काशी -
 +
भूतल रहितहुँ जे त्रिलोकसँ अधिक बढ़ल छथि
 +
रहितहुँ जगतक शूल, त्रिशूलक उपर चढ़लि छथि
 +
वरुणा - असिक संगमहुँ वारुणि रस न परसइछ
 +
गंगा मरहु नगर गगाधर गरल न गरइछ
 +
शीतल वाहिनि गंग पुनि अंगहु ज्योतिर्लिंगमय
 +
विश्वनाथ बसबैछ बसि विश्व, बास काशीक जय
 +
 +
5.  कांची -
 +
दक्षिण सतत प्रदक्षिण करवे कांची कांचन धाम
 +
संचित करवे पुण्य राशि, वंचित नहि जीबन याम
 +
एक बिम्ब प्रतिबिम्बित दुइ वैष्णव शैवक आदर्श
 +
हरिहरात्मिका अद्वैतक साक्षात्कार उत्कर्ष
 +
भुक्ति - मुक्तिदा पुरी वैष्णवी शैवी भारत भूमि
 +
देखल संगरो नगरो-डगरो, अनत न, जगती घूमि
 +
 +
6.  उज्जयिनी -
 +
इत विजिते जत नगर-पुरी, उत जयिनी लोक ललाम
 +
उज्जयिनी, धन-जन विशाल, तेँ उचित विशाला नाम
 +
महाकाल छथि वासी, हुनक उपासी कोना उपास
 +
पड़ते? तेँ न अकाल-दुकालक पतो जतो जनवास
 +
विक्रम विदित अनुक्रम एखनहुँ, मालव भूमि अनन्य
 +
जन जनपदक अवन्ती, जन-धनवन्ती नगरी धन्य
 +
 +
7.  पुरी-द्वारवती -
 +
दूर सिन्धु सौवीर द्वार-पर द्वारकाक अछि सोर
 +
जरासन्ध रोधित मथुरा तजि चुपहि बसल रन छोर
 +
भारतवर्षक हर्ष-द्वार, जलपथ आक्रमणक पार
 +
पीठ सांस्कृतिक संक्रमणक शंकर द्वारा उद्वार
 +
सागर जल क्षालित दुआरि-घर प्लावित पुण्य प्रदेश
 +
एखनहु माटि चढ़ायब माथे मुक्ति पुरी अवशेष
 +
--- ---
 +
सप्त पुरी लाक्षणिक पुनि पुरी दारवी पूर्वतन
 +
जगन्नाथ - पद माथ जे नवथि न जनमथि जन भुवन
 
</poem>
 
</poem>

10:42, 17 जून 2015 के समय का अवतरण

1. अयोध्या -
अवध धाम जत परम पुरुष रामक अवतारे
जनिक सुयश-अवदात चरित धवलित संसारे
सरयु सलिल पावित, रघुकुल लालित शुचि धन्या
बौद्धिक जुझि नहि सकथि, अयोध्यापुरी अनन्या