Last modified on 19 सितम्बर 2018, at 02:23

सेहन्ता / गंग नहौन / निशाकर



चिड़ै
चुनैछ
चापाकाल पर पसरल
डेकचीक भात
पीबैछ
सागरसँ खाधि धरिक जल।

चिड़ै
मनबैछ
अकासमे हनीमून
नहाइछ
बरखाक फुहारमे
पाँखि पसारि।

खोंता उजरला पर
चिचिआइत रहैछ
अपन भाखामे।

चिड़ैकें
छै सेहन्ता
सभ जीवकें होअए
अपन गलतीक जनतब
बरसैत रहए
नेहक बदरी
धरती पर
फुलाइत रहए
शान्तिक फूल।