भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

हमरा लग रहब / नरेश कुमार विकल

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता ३ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 23:43, 22 अप्रैल 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=नरेश कुमार विकल |संग्रह=अरिपन / नर...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

चहुँ दिस चोर घुमै छै रूपक
किदन-किदन छै बाजब।
सबहक मुँह सुनै छी एतबे
की हमरा लग रहब ?

कोनो सोन श्रृंगार सजौने
कोनो फूलक गजरा
एक फूल पर घूमि रहल छै
ने जानि कतेको भमरा।

सभक आँखिक भाषा बाजै
जे कहब अहाँ से करब।
सबहक मुँह सुनै छी एतबे
की हमरा लग रहब ?

कतेक मोन मे पियास भरल
आनन्द आर उल्लास भरल
कतेक साँस उपर मँह खींचै
आँखि कतेकोक गरल।

सभ कें असीम विश्वास हमर
क्या कहय अहीं लग मरब,
सबहक मुँह सुनै छी एतबे
की हमरा लग रहब ?

मोनक आँगन मे आबि रहल छै
ने जानि कतेको नयना,
दुइयेटा लोचन अछि हमरा
कोना कें बाँटब बयना।

की सम्भव छै एक पात्र सँ
कोटि पात्र कें भरब ?
सबहक मुँह सुनै छी एतबे
की हमरा लग रहब ?