Last modified on 1 जुलाई 2014, at 19:46

होरीमे लाज ने करू गोरी / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

होरीमे लाज ने करू गोरी, होरी मे...
हम ब्रजकेँ रसिया तो गोरी
करे मिलान इहो जोरी, होरीमे, होरीमे...
जे हमरा सौं होरी नहि खेलय
खेलब रंग बरजोरी, होरीमे, होरीमे...
सूरदास जी कहथि कृष्ण सँ
छुटलनि राधा गोरी, होरीमे, होरीमे...