भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

अओ शिवशंकर त्रिपुरारी / मैथिली लोकगीत

Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 23:48, 30 जून 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह=देवी...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

अओ शिवशंकर त्रिपुरारी
कओन विधि निमहब हो बाबा, बिपति पड़ल सिर भारी
धरहि प्रतिज्ञा केलौं बाबा, कामरु लेल उठाई
जँ एहि बेर भोला पार लगाएब, आयब फेरू अगारी
भक्त अहाँक पुकारि रहल अछि, राखब लाज विचारी
बनि सेवक हम द्वार ठाढ़ छी, बनल हीन दुखियारी
मनक आस पूरल नहि दानी, कयल कतबो सेवकाई
जाबत धैर्य धरब अपने पर, ताबत ठाढ़ दुआरी
अओ शिवशंकर त्रिपुरारी